Trishna Basak-बंगला साहित्यक नव्यतम पीढ़ीक प्रतिनिधि साहित्यकार थिकीह, जनिका मैथिली भाषा-साहित्यमे विशेष रुचि
छनि। एखनधरि अनेक मैथिली रचनाक बंगला-अनुवाद कयलनि अछि। हम हिनका प्रति हार्दिक
आभार प्रकट करैत छी जे हमर 'सम्भावना'क २० गोट मैथिली हाइकू'क बंगला अनुवाद कयलनि आ
विगत ४३ वर्षसँ प्रकाशित होमयबला एकमात्र बंगला 'अनुवाद
पत्रिका' सन प्रतिष्ठित पत्रकामे प्रकाशनार्थ पठौलनि आ
सौभाग्यवश शारदीय-अंकमे प्रकाशितो भेल। ई हमरा लेल विशेष आह्लादकारी एहि हेतु सेहो
अछि जे पहिल बेर हमर कोनो रचनाक अन्य भाषामे अनुवाद भेल अछि
Posted on FB; 11th Jan. 2016.
No comments:
Post a Comment