-केना छी ?
- बड़ नीक...अहाँ ?
-हमहूँ ठीक छी । दू दिनसँ कतय गायब रही ?
-हँ...कनेक व्यस्त रही ।
-अच्छा...लगले कहैत छी जे कोनो काज नहि अछि । बेरोजगार बैसल
छी । आ फेर व्यस्तो रहैत छी । से केना ?
- रोजगारी होइ कि बेरोजगार...जावत जीवन अछि तावत व्यस्तता
रहबे करत ।
- बेस...एहिना व्यस्त रहू आ मस्त रहू ।
- से तँ जखन कोनो रोजगार करब तखन ने...बेरोजगारीमे तँ-व्यस्त
रहू पस्त रहू ।
- हा..हा..हा...
-आश्चर्य...
-की...कथीक आश्चर्य ?
-दू दिनक अनुपस्थिति हेतु अहाँक कोनो शिकाइत नहि भेटल । आइ
बड़ जल्दी मानि गेलहुँ । ई की कोनो आश्चर्यसँ कम छैक?
- हा..हा..हा...आइ हमरा अहाँक अनुपस्थितिसँ बेसी दोसर बातमे
इन्टरेस्ट अछि ।
-से की ?
- अहाँक कोनो इन्टरव्यू होइबला रहय । की भेल तकर ?
- हँ...काल्हिए छल....गेल रहियै । ओ बात बूझयमे धोखा भेल
छल । इन्टरव्यू कोनो कंपनीमे नहि रहैक ।
-तखन...?
- एकटा प्लेसमेन्ट फर्म पहिल राउण्ड इन्टरव्यूमे बजौने छल
। आब ओ हमर बायोडाटा अपन क्लाइन्ट सभकेँ पठेतैक । फेर जँ कतहुँसँ कॉल आयत तँ...
- ओ.के...
- आब आगाँ की हेतैक से तँ नहि जानि मुदा, तत्काल साढ़े चारि
हजारक घाटा लागल ।
-से केना ?
- ओकर एक सालक रजिस्ट्रेशन चार्ज पेमेण्ट करय पड़ल ।
- मतलब...?
- मतलब जे, ओ एक साल धरि हम बायोडाटा विभिन्न कंपनी सभकेँ
रिकमेण्ड करतैक तकर चार्ज ।
- आ जँ एहि एक सालमे कतहु सेलेक्शन नहि भेल तखन ?
- तखन की...पाइ बूड़ल ।
- अच्छा ।
- हँ पहिने एतके "टर्म एण्ड कन्डीशन्स" नहि बुझलियै
। ओतय गेलहुँ तँ सभ बात फरिच्छ भेल । एक मोन भेल जे छोड़ि दियैक मुदा, फेर सोचलहुँ
जे एतेक लागियोकेँ जँ कतहु नीक ठाम काज भेटि जाए ।
-अरे आब तँ ई हिडेन टर्म एण्ड कन्डीशन्स सभ ठाम रहैत छैक
। आन ठामक गप्प छोड़ू, आब तँ ई चुनावी घोषणा तकमे रहैत छैक । देखलियै नहि ? कहैत रहैक
जे नवका सरकार एतैक तँ वाइ-फाइ फ्री भेटतैक आ आब जखन सरकार बनि गेलैक तँ मंत्री कहैत
छैक जे फ्री माने एकदम फ्री नहि सशर्त, लिमिटेड...
-हा..हा..हा...ठिक्के । ओना अहाँ हमर ई गप्प गीरह बान्हि
लिअ' जे एहि दुनियामे कोनो चीज अनकन्डीशनल नहि होइत छैक । हमरो-अहाँक प्रेम अनकन्डीशनल
अछि ?
- ...हम तँ कोनो कन्डीसन नहि कहलहुँ कहियो ।
- मुदा, समाजक कन्डीसन तँ लागूए अछि ने ।
- हँ...लेकिन अहाँ तकर चिन्ता नहि करू । फेस कएल जेतैक तकरा...।
-अवश्य ।
No comments:
Post a Comment