Saturday, February 14, 2015

वेलेन्टाइन डे स्पेशल


- हाय...की करैत छी ?
- हेलो...किछु विशेष नहि...काज रहैत तँ एतय किएक बैसल रहितहुँ ?
- अच्छा तँ अहाँ एतय टाइम पास करय लेल अबैत छी ?
- हँ...किएक अहाँ कोनो विशेष काजे एतय रहैत छी ?
- नहि...नहि...तेहन कोनो काज तँ नहि, तखन अपन मित्र वर्गक हाल-चालक अपेक्षा तँ रहिते अछि । संगहि        हुनकर सभक गतिविधिसँ सेहो परिचय पबैत रहैत छी । एहि बीच किछु-किछु नव सेहो सिखैत रहैत छी । आ...हँ...सभसँ पैघ कारण तँ अहाँ छीहे ।
-बाप रे तखन तँ अहाँकेँ बहुत रास काज रहैत अछि ।
- हँ...लेकिन अहाँ हमरो संगे तँ कहीँ टाइमे पास करय लेल गप नहि करैत छी ।
- अरे...नहि...नहि...ओना अहाँ बहुत बिसरघोर छी ।
- से की भेल ?
- आइ वेलेन्टाइन डे छैक मुदा, अहाँ एखनतक विश नहि केलहुँ । लगैए अहाँकेँ नहि मोन अछि ।
- मोन छल तेँ ने टोकलहुँ ।
- अच्छा...माने वेलेन्टाइने डे केँ अहाँ आब टोकब हमरा...बाँकि दिन नहि ।
- एह्ह...अहूँ कतेक गपकेँ घोंकय छिऐक । हमरा तँ अहाँसँ जखने गप होइत अछि तखने हमर वेलेन्टाइन डे शुरू भ' जाइत अछि । माने भरिसाल-वेलेन्टाइन ।
- भेलैक-भेलैक...बुझि गेलियै....पाबनिकेँ पाबनिए रहय दियौक....
- हा...हा...हा...ओना कतेक नीक रहितैक जँ आइ अपना दुनू गोटे संगहि घूमय लेल जैतहुँ ?
- ह्म्म....से तँ ठिक्के कहलहुँ...मुदा, आइ हम अहाँ संग घूमय नहि जा सकितहुँ । आइ हमसभ शिरड़ी जा रहल    छी ।
- अच्छा...हैप्पी जर्नी...हमरो लेल किछु माँगि लेब ।
- हँ..महराज...ताहूमे कोनो कहयबला बात । ओना हम अपना लेल माँगी कि अहाँ लेल, बात तँ एक्के ।
- हँ...सेहो ठिक्के ।
- ओना एकटा गप कहू ।
- की...कहू ने ।
- बड़ मोन होइए जे अहाँ संगे आइ बैण्ड-स्टैण्ड घूमय जयतहुँ ।
- हा...हा...हा...जो गति तोरा...सो गति मोरा...
- से की ?
- हमरो होइए जे अहाँ संगे आइ विक्टोरिया घुमितहुँ ।
- कोनो बात नहि...आइ मोन मारि लिअ'....कहियो अवश्य घूमब ।
- :)